Monday, December 24, 2018

जूड़ शीतल

      झा जी सिन्दरी,बिहार (वर्तमान झारखंड तत्कालीन बिहार) में एक टा खाद के कारखाना में मुंसी के काज करैत रहैथ। बहुत कर्मठ लोक छलैथ झा जी, आ कारखाना में हुनका एगो निम्नवर्गीय कर्मचारी सफाई वला सँ ल क मैनेजर तक सबसँ बहुत बढियाँ सम्बन्ध छलैन। कारखाना के मनेजर ओहि समय में बेगूसराय के एक टा ठाकुर जी रहथि दूनू गोटे मैथिल रहथि तँ हुनका दुनू के किछु जादा दोस्ती छलनि। झा जी कर्मठ लोक छलाह तैं हिनका ठाकुर जी बेसी मानथीन। दुनू गोटे के परिवार में सेहो किछु जादे दोस्ती छलैन।
             १० बरख पहिने एक टा एक्सीडेंट में झा जी के बेटा, पुतौह आ पोता के मृत्यु भ गेल छलनि। झा जी के कनियाँ आ एक टा पोती छलनि जे कि गाँव (मधुबनी) में रहैत छलथिन। झा जी महीना में दू-तीन दिन के लगातार छुट्टी भेला पर सेहो गाँव आइब जाइत छलाह। पोती लेल किछु उपहार लैये क अबैत छलाह चाहे कतबो कम दिन गेला किया नै भेल हो। ठाकुर जी के हिनका घर के बारे में सब किछु पता छलैन त उ सेहो हिनकर दरमाहा  दै में देरी नै करथिन अगर कोनो कारण स देर भ जायत छल त उ अपन घर स दैत छलाह फेर बाद में मिलला पर उ राइख लैत छलाह। कियाकि ठाकुर जी त बुझैत छलाह जे कि हिनक परिवार में बस इहै एक टा कमौआ छैथ। १० साल पहिले जखन हिनक बेटा के एक्सीडेंट भ गेल छलैन तहन हिनकर पोती मात्र डेढ़ साल के रहैन मुदा दुनू प्राणी मिल क आब ओकरा पालि पोसि क नमहर केलैन। आब त उ बच्चा तेसर क्लास के विद्यार्थी भ गेलैक।
        झा जी के पोती के बड़ चिंता छलैन कियाकि त ओकर पढ़ाई-लिखाई आ बियाह तक के चिंता केनिहार एगो झा जी त छलाह। अप्पन दरमाहा में उ जे किछु खेनाइ आर रहनाइ में खर्च करैत रहैथ ओकर अलावा सब पाई के उ हिसाब स खर्च करैत छलाह। झा जी पुरना समय के इंटर पास छलैथ त इ छुट्टी के बाद कारखाना के कर्मचारी सबहक धीया-पूता सब के पढ़ा दैत छलैथ। जे कर्मचारी सबहक घर दूर छलैक उ अप्पन परिवार समेत सिन्दरी में रहैत छलैक। उ कारखाना स बाहर के किछु बच्चा के सेहो पढ़बैत छलाह ओहि स जे किछु आमदनी भ जैन ओहि पाई के उ पोती के स्कूल और ट्यूशन फीस में खर्च करैत रहैथ। कारखाना में झा जी के ग्रामीण एगो सुनील झा जी के परिवार रहैत छल। झा जी हुनक बच्चा के सेहो पढ़ा दैत रहथिन, हुनक पत्नी हिनका खाना नै बनाबँ दैत रहथिन, त ई हुनके लग खाइत रहैथ। झा जी सेहो हुनक बच्चा के पढ़बै के फीस नै लैत छलाह।
             एक बेर झा जी के कारखाना में टाङ में चोट लाईग गेल रहनि त भरि दिन हिनक डेरा पर एनिहार-गेनिहार के कमी नहिं छल। सुनील झा के परिवार हिनक खूब मोन सँ सेवा केलनि। हिनक ४-५ दिन में टाङ ठीक भ गेलैक त ई कारखाना जेनाई शुरु क देलनि। कारखाना में हिनका देखि क ठाकुर जी आगि भ गेलाह।
ठाकुरजी-आँहाँ किया एलौं एहन स्थिति में यौ?
झा जी- आब हम ठीक छी पूरा, देखू हैयै (झा जी चैल क देखा देलखिन)।
ठाकुरजी- तैयो!
झा जी- अरे छोड़ू न।
ठाकुरजी- हम त एखनो कहब जे नैहे आबू, मुदा आँहाँक जे इच्छा।
झा जी - आब हम ठीक छी, हम ऐबे करब मुफ्त के दरमाहा हम नईं लेब।
ठाकुर जी- आँहाँ के जे इच्छा।
           होली के समय आइब गेल छल ओहि में झा जी गाम नै जाइत छलैथ कियाकि त होली स दू-तीन दिन पहिने हुनक घर मे १० बरष पहिने हादसा भेल छल, से होली आबैत याद पड़ि जैन। मुदा एहि साल होली सँ दस दिन पहिने ठाकुर जी के ट्रांसफर हरियाणा भ गेलैक, सब गोटे हुनका विदाई केलैन। ठाकुर जी हरियाणा चैल गेलाह। कारखाना में ठाकुर जी के जगह पर हरियाणा के मैनेजर आइब गेल छल। नबका मैनेजर के केकरो स बनिते नहिं छल। बात-बात पर  बेमतलब के मजदूर सब के डाँटि दैत छलैक। झा जी बहुत समझेलनि जे सर ई सब मजदूर को बेमतलब नईं डाँटिए मुदा हुनका पर कोनो प्रभाव नहिं, उ कहै जे आप सजेशन मत दीजिए आप मुंसी है हमारे बॉस नहीं। झा जी चुप भ जाइत छलैथ।
            झा जी के आब मोन नै लगैत छलैन हरदम सोचैथ जे नोकरी छोड़ि देब मुदा पोती के याद आबि जैन कि यदि हम नै कमेबै त फेर ओकर पढ़ाई लिखाई शादी बियाह के की हेतै। एक महीना भेल कि जूड़ शीतल के समय आइब गेल। दू दिन पहिने हिनका पोती के चिठ्ठी भेटल जाहि में हुनका कहल गेल छल  जे बाबा जूड़ शीतल में आँहाँ आइब जाऊ और हमर चौथा वर्ग के लेल किताब-कॉपी सेहो कीन देब। झा जी कहलखिन जे ठीक छै हम जूड़ शीतल में आइब जैब। झा जी ओहि दिन काम पर गेलाह शाम में काम खत्म करवा के बाद ओ मैनेजेर लग पहुँचला।
झा जी- सर हमको दू दिन के छुट्टी चाहिए।
मैनेजर- क्यो? क्या बात है?
झा जी- सर कल जूड़ शीतल है तो आज रात में हम गाड़ी पकड़ेंगे घर जाने के लेल। आर परसू हम अपना पोती के नया किलास के कॉपी-किताब कीनेंगें अगला दिन हम काम पर आ जाएँगें।
मैनेजर- अरे झा जी ये जूड़ शीतल क्या है? इसका तो यहाँ कोई छुट्टी नहीं है।
झा जी- जी सर जूड़ शीतल के कोनो छुट्टी नै है लेकिन इ हमलोग का पर्व होता है।
मैनेजर- नहीं, हम आपको छुट्टी नहीं दे सकते है।
झा जी- पर सर किताब-कॉपी पोती का…..।
मैनेजर- पर वर कुछ नहीं आपको कल आना है काम पर।
            झा जी दुःखी मोन स आइब गेलाह डेरा पर सीधे आइब क सूति रहला। कनी देर में सुनील झा के पत्नी हिनक खाना ल क आइब गेलथिन।
कनियाँ- कक्का गाम नै जेबाक छैन कि?
झा जी- नै कनियाँ।
कनियाँ- किया यौ?
झा जी- छुट्टी नै देलक।
कनियाँ- पर छोटी के किताब-कॉपी…..?
झा जी- पता नै हम त होली में कहियो नै जाइत छलौं पर जूड़ शीतल में दस दिन के छुट्टी ल क जाइत छलहुँ त गहूम कटा क दौनी करवा क अबैत रही। एहि बेर टाङ में चोट लाईग गेल त छुट्टी केने रहियै ४-५ दिन त सोचलियै जे दू दिन में वापस आइब जेबै। जोन के लगा देबैक खेत में आ छोटी के दादी के सब किछु समझा क, मुदा आब त छुट्टी नै भेल। एखन ठाकुर जी रहिता त हम दस दिन कहितौ त बीस दिन के दैतैथ मुदा आब त उ….।
कनियाँ- छोड़ौथ न हुनकर बात उ त सब के मानैत छलथिन, पर इ मनेजरा सनकल अइछ।
झा जी- हाँ आब देखथुन कि होई छैक।
            झा जी राईत में खाना नै खेलनि। लेकिन भोर में धाञ-धाञ उठि क तैयार भेलाह आ सोचलनि जे भ सकैत यै जे काइल मैनेजर के मूड खराब रहैक त छुट्टी नै देलकैक त कि भ गेलैक जूड़ शीतल त भ गेलै मुदा छोटी के त किताब-कॉपी कीन देबै। झा जी तैयार भ काम पर चैल देलाह। रस्ता में एक टा कार हिनका आगू स निकलल त रोड पर बला किछु कादो हिनका परि गेलैन इ बिसैर गेलाह जे कहाँ छी, ओत्तै इ एक मुट्ठी कादो हाथ मे लेलाह जैं कि गाड़ी रुकल इ फेंकवा के प्रयास में तैयार भ गेलाह। मुदा जहन गाड़ी स एगो महिला निकलल त इ ठमकि गेलाह। हिनका याद एलैन जे हम गाम पर नै छी आर एत्तँ जूड़ शीतल नै छैक। महिला निकलि क हिनका सॉरी कहलैनि तँ इहो कहि देलखिन कोनो बात नै छैक तहने गाड़ी के दोसर गेट खुजलै आ एगो आदमी बाहर निकलल त झा जी देखिते रहि गेलाह उ आओर केओ नै हिनके मैनेजर छलैक आ ओ महिला हुनक पत्नी छलीह। मैनेजर हिनका देख क तुरंत बूझि गेलैक जे ई हमर पत्नी पर कादो मारवा चाहै छलैक। उ नै किछु बाजल आ चुपचाप गाड़ी में बैस क चैल गेल।
           झा जी सेहो बुझि गेलाह जे आब छुट्टी त नहिं मिलत मुदा तैयो पहुँचि क ओ एक बेर मनेजर के कहलनि।
झा जी- सर जी कल तो छुट्टी नहीं दिए आजो दीजियेगा त हम चल जाएँगे।
मैनेजर- आपको बहुत छुट्टी का जरूरत है आप नोकरी छोड़ दीजिये और खूब छुट्टी कीजियेगा खूब जूड़ शीतल मनाइयेगा।
झा जी- वैसे भी पहले परिवार तब न नोकरी। जूड़ शीतल तो हम मनाएँगे हीं।
मनेजर- चले जाइए खूब मनाइए जूड़ शीतल।
          झा जी कारखाना स निकलि डेरा गेलाह जे किछु समान छलैक डेरा में से सब ल क चैल देलाह सुनील झा के कनियाँ के कहलनि जे।
झा जी- कनियाँ हम गाम पर जाइत छियैन।
कनियाँ- छुट्टी भेट गेलैन कि?
झा जी- हमेशा के लेल हम नोकरी छोड़ि देलौं।
              एत्ते कहैत झा जी जल्दी सँ स्टेशन चैल देलाह ट्रेन पकड़ि क गाम पर आइब गेलाह। प्रात भेने सबसँ पहिने उ पोती के किताब-कॉपी कीन देलखिन। आ गहूम के कटनी-दौनी में लाईग गेलाह। जखन हिनका एला दस दिन स बेसी भ गेलैन त हिनकर पत्नी पुछलैन।
पत्नी- काम पर नै जेबै कि?
झा जी- नै।
पत्नी- किया यौ?
झा जी- छोड़ि देलियै।
पत्नी- त आब की करबै?
झा जी- एत्ते किछ करबै।
पत्नी- केहन नीक छलै जे आँहाँ ओत्तै छलौं, आब  एत्तँ बुड़हारी में कि करबै?
झा जी- किछु नै हेतै त अप्पन जेते खेत छै ओहि में खेती क देबै तैयो हमरा सब के गुजर भ जेतैक।
पत्नी- अच्छा हमहूँ देखै छी जे आँहाँ की करबै?
झा जी- बस आँहाँ देखैत जैयो। हम कि करैत छी।
           झा जी अप्पन सब खेत मे खूब मेहनत सँ खेती केनाई शुरू केला हिनका एहि बेर जेत्ते गहूम भेलैन सब के बेच क इ सिन्दरी गेलाह आर सब पाई के खाद कीन लेलैथ। हिनका एला के बाद ओत्त के मुंसी सुनील झा भ गेल रहथिन। सुनील झा हिनका थोक भाव पर खाद दिया देलनि। इ आइब क गाम पर एक टा खाद-बीज के दोकान खोललैन सबसँ पहिले इ अप्पन खेत में दैथिन तहन बेचैत रहैथ। अगल बगल के गाँव में सेहो एहन कुनो दोकान नै रहै त हिनकर दोकान खूब चलँ लगलैक। इ सस्ता में बढ़ियाँ समान बेचै छलाह त खूब कमाई होवँ लगलैक।
            समय धाञ-धाञ बीतलै, झा जी पूरा क्षेत्र में सबसँ जादा खाद-बीज बेचि क रेकॉर्ड बनेला। हिनका ओत्त कारखाना वाला मनेजर प्रोग्राम रखवा के लेल निमंत्रण देलकैक। झा जी तैयार भ गेलखिन। आब त झा जी एक बेर में २०-२५ ट्रक क खाद-बीज लेवँ लगला लगभग १०० लेबर रखने रहथि। १० साल में झा जी बहुत आगू बढ़ि गेलैन। पूरा क्षेत्र में झा जी के चर्चा छलैक।
              उ दिन आइब गेलै जहिया झा जी के ओहि ठाम प्रोग्राम होयतैक। मंच सब तैयार भेल छल बहुत मीडिया वाला सब एल छल। खूब प्रसन्नता के माहौल छलैक। झा जी मंच पर सबहक इंतेज़ार में बैसल छलाह २-३ मिनट के बाद उ कंपनी के अधिकारी सब के गाड़ी एनाई शुरू भ गेल। ओहि में स एक टा गाड़ी सँ ठाकुर जी निकलला, झा जी चीन्ह गेलखिन ठाकुर जी के आ ठाकुर जी सेहो चिन्हलैन दुनू गोटे भेंट केला गला मीलि क ठाकुर जी कहैत छथिन।
ठाकुर जी- की हाल चाल छै यौ?
झा जी- बहुत बढ़िया अप्पन कहियौ.
ठाकुर जी- अप्पनो बढ़ियाँ छैक। ओत्तँ स चैल एलियै हम बदली के दू महीना बाद आएल छलहुँ मुदा सुनील जी कहलनि जे आब ओ गाम पर रहैत छैथ एत्तँ काम छोड़ल हुनका १ महीना भ गेल।
झा जी- आँहाँ गेलियै उहै महीना हम काम छोइर देलौं।
ठाकुर जी- किया नबका मनेजर ठीक नै रहैथ कि?
झा जी- नै बहुत नीक छलैथ हमही नै काज करब में सकैत छलहुँ।
ठाकुर जी- चलू कोनो बात नै छै काज छोरलौ त न आई एत्ते बड़का गोदाम अइछ एत्ते मजदूर अइछ। ओत्तँ काज करैत रहि आओर एत्तँ करवाबैत छी बढ़िया यै न।
झा जी- हाँ एत्तँ कम स कम घर के चिंता त नै अइछ।
          बाते बात में पाछा स आवाज एलैक हेलो सर बहुत बहुत बधाई आओर एक टा गुलदस्ता वला आदमी झा जी के गुलदस्ता देलखिन झा जी गुलदस्ता लैत धन्यवाद कहलनि। ओ आदमी मुँह ताकैत रहि गेल आ झा जी सेहो। दुनू गोटे एक दोसर के चीन्ह गेलैन, लेकिन किछु बाजिता ओहि स पहिने कार्यक्रम शुरू भ गेल। उ आदमी और केऊ नै उहै मनेजर छलैक जे हिनका जूड़ शीतलक छुट्टी देने रहैक। उ जूड़ शीतलक छुट्टी झा जी एखनों धरि नहिं बिसरल छलाह।
             कार्यक्रम शुरू भेलैक सब गोटे झा जी के खूब प्रसंसा केलनि जे मात्र ५ साल में इ एत्ते आगा बढ़ला आओर १० साल में हिनक केऊ हाथ पकड़नाहर नहिं छैन। कंपनी के अधिकारी सब सेहो प्रसन्न छलैथ सब झा जी और हुनक परिवार लेल उपहार सब अनने रहथि। सब किछु भेला के बाद प्रेस वला सब सवाल पूछनाई शुरू केलकैन।
प्रेस- झा जी आप पहले एक मुंसी थे कंपनी में आज आपका चर्चा कंपनी में चल रहा है शुरू में तो आपको दिक्कत आयी होगी?
झा जी- जब हमने इस दुकान की शुरूआत की थी तब भी और आज भी हम खेती कर रहें हैं हम एक भी खाद या बीज बिना उपयोग के नहीं बेचते और दाम भी सुविधाजनक रखते है इसी लिए हमको कोई परेशानी नहीं हुई।
प्रेस- आप मुंसी से इतने बड़े विक्रेता कैसे बने?
झा जी- ये एक बड़ी सी कहानी है।
प्रेस- क्या हम जान सकते हैं कि आपके इतने बड़े विक्रेता बनने में किन सबका योगदान रहा?
झा जी- जी बिल्कुल।
प्रेस- तो बताइए..
झा जी- इसमें सबसे बड़ा योगदान हमारे उस समय कारखाने के मैनेजर का था अगर वो उस समय जूड़ शीतल की छुट्टी न देते तो शायद आज हम इतने बड़े विक्रेता नहीं होते।
              बस सब बैसल लोक ताली बजेनाई शुरू केलखिन। मनेजर जे छलैथ हुनका आँखि स नोर चूवँ लागल आ झा जी के सेहो। मनेजर आइब कँ झा जी स गला मिल माँफी माँगँ लागल झाजी बाजि उठला जे माँफी आप नहीं माँगिये बल्कि हम आपको धन्यवाद करते है। कि यदि आप मुझे जूड़ शीतल का छुट्टी न देते तो शायद हम आज भी वहीँ मुंसी होते और मेरा इतना नाम न होता। सब लोक सब हुनका दुनू गोटे के देखैत रहि गेल।
                                            - रंजन  कश्यप
नोट- इ कहानी के कोनो भी वास्तविक जिनगी स कोनो संबंध नै अइछ इ सब मात्र एक टा सोच पर आधारित अइछ। वास्तविक जिनगी स संबंध एकटा संजोगे स भ सकैत अइछ।
                                         
आओर हिंदी में कहानी सब पढ़वाक  लेल निच्चा लिखल लिंक पर क्लिक करू धन्यवाद https://rranjan383.blogspot.com/2018/09/blog-post_66.html?m=1

ज़ोया

आ ज के दिन (15 मई 2020) साल भर पहले कुछ खास था और यदि कोई मेरे साथ पढ़ रहे होंगें तो उन्हें बखूबी याद होगा। हमारा बचपन से शौक था कि कब आइए, ब...